Sunday, December 9, 2012


बाल गजल-10
बाल दिवस पर प्रेषित अछि एक टा बाल ग़ज़ल !!
हम नेना मोनक सतगर छी
हम नेना बलक जोरगर छी

छी हम सराहल सभ तरहे
चच्चा नेहरूक पियरगर छी

ने मोन मे हमर छल प्रपंच
हम सुच्चा सोचक दमगर छी

माटि पाइनक' खेलल कुदल
हम नेना देहक बलगर छी

बालो हम जगदानन्द भाखल
तै माटिक हम कपरगर छी

मिथिला मैथिली शान हमर यौ
से बातक हम ठेकनगर छी

“ राजीव" मनाबैथ बाल दिवस
नेना भुटका लेल मोनगर छी
सरल वार्णिक बहर, वर्ण संख्या-12
राजीव रंजन मिश्र

No comments:

Post a Comment