Sunday, December 9, 2012


धिया पुताक आस पिता छैथ
सत मोने विस्वास पिता छैथ

नीक बेजैक बोध कराबैथ
आगुक पूर्वाभास पिता छैथ

खने पितैल आ स्नेह करैत
सुन्नर खटरास पिता छैथ 

जनैथ बूझैथ दुनिया दारी
जीबैकँ विन्यास पिता छैथ 

धिया पुताक कुचालि देखिक'
मोने भेल उदास पिता छैथ

सखा संतान फूलै फलय जौं 
धर्म कर्मकँ बास पिता छैथ 

"राजीव" पिताकँ मानैथ बड
पिताक रूपे खास पिता छैथ

(सरल वार्णिक बहर,वर्ण-11)

राजीव रंजन मिश्र 

No comments:

Post a Comment