Sunday, December 9, 2012


गजल २९ 

अहि जग केर सभटा रीती बिरल छै
नहिं सत केर कत्तहु मोल रहल छै

चहुँ दिस सभ बाँझल थिक अनेरोक
नहि आब ककरो कोनो होश बचल छै 

सभ आइ प्रेम करय छैक चाहत ला
स्नेह बाटक सभटा नीति बिसरल छै 

देखि लोकक स्वार्थ भरल चालि प्रकृति 
निक मनुख सभ चुप भए बैसल छै 

छूछ्छो शाने घुमि रहल लोक सांढ बनि 
मनुखता छोरि क' माल जाल बनल छै 

सत केर नहि आब गुजारा कोनो रूपे 
झूठक खेल सभ बान्ह तोरि बढ़ल छै

गाछी बिर्छी खेत पथार सभ सुखैल जै
समय साल देखि क' राजीव बेकल छै

(सरल वार्णिक बहर वर्ण-१५)

राजीव रंजन मिश्र 

No comments:

Post a Comment