Saturday, November 17, 2012


    हाइकू

बेटा भेलाह 
खान्दानक वारिस 
बेटी त आन! 

बेटा पढ़तै 
बेटी की करतय 
बेसी पर्हि क! 

बरक बाप
खूब मोछ पिजौने  
जैतुक लेब ! 

बेटीक माय 
धड़कईत छाती
जवान कान्या!

चारि टा बेटा 
क्यउ नै पोसलक
बेटी डेबय !

छोड़ू भाभट
बेटा आ बेटी थिक
एक समान !

राजीव रंजन मिश्र 

No comments:

Post a Comment