Sunday, July 8, 2012

किशन कन्हैया,बंशी बजैया!
आबु ने  फेर एक बेर यौ !!
गाम-गाम ब्रज भ,सुन्न पड़ल अछि!
धाबु ने फेर एक बेर यौ!!

यमुने टा नहि,सौंसे कारी भेल अछि !
नथाबु ने कालिया नाग,फेर एक बेर यौ!!
कंस घुमि-घुमि,नाश करैत अछि !
हराबु ने फेर एक बेर यौ!!
किशन कन्हैया,बंशी बजैया!
आबु ने  फेर एक बेर यौ !!


राधा घर-घर,बिलखि रहल छथि!
नचाबु ने फेर एक बेर यौ!!
ललिता-विशाखा कानि रहल छथि!
हँसाबु ने फेर एक बेर यौ!!
किशन कन्हैया,बंशी बजैया!
आबु ने  फेर एक बेर यौ !!


पाण्डव रन-बन भटकि रहल छथि!
देखाबु ने पथ फेर एक बेर यौ!!
कौड़व वंश बढा रहल अछि !
मिटाबु ने फेर एक बेर यौ!!
किशन कन्हैया,बंशी बजैया!
आबु ने  फेर एक बेर यौ !!


दुर्योधन घर-घर जनमि रहल अछि!
जगाबु ने अर्जुन के फेर एक बेर यौ!!
दु:शासन लाज लुटि रहल अछि!
बढाबु ने चीड़ फेर एक बेर यौ!!
किशन कन्हैया,बंशी बजैया!
आबु ने  फेर एक बेर यौ !!


सब तरहें जीवन कठिन भेल अछि!
सुनाबु ने चैनक धुन फेर एक बेर यौ!!
किशन कन्हैया,बंशी बजैया!
आबु ने  फेर एक बेर यौ !!

राजीव रंजन मिश्र
२३.०३.२०१२

No comments:

Post a Comment